Home » Art & Culture, खांटी माटी, Bihar, Current » मैथिली पढनिहार छात्रक संख्‍या मे नौ गुना बढोतरी

मैथिली पढनिहार छात्रक संख्‍या मे नौ गुना बढोतरी

मैथिली पढनिहार छात्रक संख्‍या मे नौ गुना बढोतरी

 

mithila painting class

दरभंगा। ललित नारायण मिथिला विश्‍वविद्यालय क स्नातकोत्तर स्तर पर मैथिली पढनिहार छात्रक संख्‍या मे अप्रत्‍याशित बढोतरी दर्ज कैल गेल अछि। ओना वर्तमान दशक मे भाषा साहित्य पढनिहार छात्र क संख्‍या मे कमी आयल अछि तथापि आन भाषा मे तुलना क आधार पर मैथिली भाषा क क्रेज बढैत नजरि आबि रहल अछि। एकर पाछु दूटा कारण अछि। एकटा मैथिली कए लोकसेवा आयोग मे स्‍थान आ दोसर राजगार मे बढैत अवसर।

उपलब्ध आंकडा बतबैत अछि जे गत चारि सत्र मे प्रत्येक सत्र मे अंग्रेजी पढनिहार क संख्‍या सबस बेसी जरूर रहल मुदा अन्य भाषा क तुलना में मैथिली क बढोतरी सबस बेसी रहल। उल्‍लेखनीय अछि जे एहि विवि मे कुल पांचटा भाषा आ साहित्य क पढ़ाई होइत अछि। जाहि मे अंग्रेजी, हिन्दी, संस्कृत, उर्दू आ मैथिली भाषा क शोध संस्कृति सेहो समृद्धि रहल अछि। आंकडा क अनुसार सत्र 07-08 में मैथिली में हिन्दी( 05) स बेसी 06टा छात्र छलथि।

ओतहि सत्र 08-09 मे मैथिली भाषण मे छात्र क संख्या सबस कम 03 छल। सत्र 09-10 मे मैथिली मे इ संख्‍या बढि कए 11 भ गेल जखन कि सत्र 10-11 मे मैथिली मे 28 क आंकडा कए छुबि लेलक। एहि प्रकार स देखल जाए त सत्र 08-09 मे तीनटा छात्र स मैथिली सत्र 10-11 मे नौ गुना स बेसी 28 टा छात्र तक पहुंच चुकल अछि। एहि पाछु कारण क पड़ताल करबाक क्रम मे स्नातकोत्तर क छात्र रहल अरविंद कुमार झा कहैत छथि जे मैथिली मे अवसर बढि रहल अछि। वैश्रि्वक स्‍तर पर सेहो मैथिली क मांग बढल अछि। पिछला दू तीन साल मे मैथिली मे रोजगार क नव द्वार खुलल अछि। इ भाषा धीरे धीरे रोजगारपरक सेहो भ रहल अछि। एहि लेल भाषा क लोकप्रियता बढल अछि।

साभार : इसमाद

Leave a Reply

© 2010 BiharDays    
   · RSS · ·
Powered By Indic IME